देखू – सुनू

1960 ई. मे मिथिला दर्शन प्राइवेट लिमिटेड नामक कम्पनीक गठन कएल गेल जकर परिवर्तित नामकरण भेल मिथिला दर्शन मीडिया प्राइवेट लिमिटेड।

नव सहरुााब्दीक आगमन मे ई कंपनी अपन गतिविधिक विस्तार करैत पिं्रट मीडियाक अलावा इलेक्ट्रॉनिक मीडिया मे सेहो पदार्पण कएलक। मिथिला दर्शनक बैनर मे 2005 मे पहिल मैथिली धारावाहिक नैन न तिरपित भेलक निर्माण भेल। 78 एपिसोड मे तकर दूरदर्शन बिहार केन्द्र सँ 2008-09 मे प्रसारण भेल छल। तहिया केबुल टी.भी. पर प्रसारण होयबाक कारणे अधिकांश लोक नहि देखि सकलाह। तें एकरा पुन: प्रसारण कएल जाएत। पुनश्च, 2010 मे लोकप्रिय संगीतक क्षेत्र मे मिथिला दर्शनक प्रवेश भेल। दसटा आधुनिक मैथिली गीतक एलबमक – किए रहै छी दूर-दूर लोकार्पण भेल जाहि मे सभटा गीतक रचयिता नचिकेता छलाह आ सुर पं. सीताराम सिंहक छलनि। गायक कलाकार रहथि उदित नारायण, भूपेन्द्र, नन्दिता चक्रवर्ती, रंजना झा इत्यादि। एकर प्रसारण आब शीघ्रहिं वेबसाइट पर उपलब्ध होएत।